मिथिलाञ्चल लघु कथा :- सेनुर /Mithilanchal short story: - Senur

मिथिलाञ्चल लघु कथा
मिथिलाञ्चल लघु कथा

मिथिलाञ्चल लघु कथा- सेनुर Mithilanchal Short Story

आइ पुजीया माय समयसँ पहिने आबि गेल छल काज करय ।
कारण पुछलहुँ तऽ बड्ड हुलसि के' बाजल, 

"मलिकाइन, आइ पुजीया के देखा-सुनि हइ" हलुमान मंडील मे तऽ
 सोचली जे हाली-हाली सबटा काम नेपटा ली । 

इ बात सुनिते आँखि के आगूमे नान्हिटा बारह-तेरह बरखक' 
पुजीया के मुँह आबिते जेना मोन लोहछि गेल।
$ads={1}
कहलहुँ, इ की करैत छैं पुजीया माय।
ओकर त अखन खाय-खेलाय के दिन छै।

एहन कांच उमेर मे किया ओकरा खाधिमे धकेल रहल छै?

की करब मलिकाइन, अहा के त' सब बात बुझले है।
ओकर बाप के दारु पियै से फुरसते नहि हइ आ हमही असगर कतेक करब? 
हमरो बेमारी कहाँ छूटय बला हइ।

जीता-जिनगी ओकर 'माँगमे सेनुर देख लेब त' संतोष हैत।

दोसर दिन पुजीया माय संगमे पुजीया (पुजा) के सेहो ल' के' आयल छल।
 मुँह ख़ुशी सँ चमकि रहल छल पुजीया माय के।


बाजल, "असिरबाद दियौ मलकाइन छौड़ी के"।

सब बात तय हो गेल।डिल्ली मे कमाइ हइ मंसा।
पहिलुकी बहू मरल हइ। दू गो ननकीरबा-ननक़ीरबी हइ ओइ घर से।पाइ सबटा उहे खर्चा करत।

एक्को गो पाइ हमरा नहि लागत।
पुजीया के बाप देख आयल हइ, पक्का के कोठली हइ आ ज़मीन जथा सेहो काम चलाउ।
हमर पुजीया के त' भाग हइ जे ओइसन घर मिलल। खाइ के कोनो दिकदारी नहि होइत उहाँ। 

माथ जेना सुन्न भ' गेल ओकर बात सुनि। 
गरीबी केहन बड़का अभिशाप अछि।

दू कौर भोजनक आगू कि नै सुझा रहल अछि पुजीया माय के
 पुजीयासँ तीन गुणा उमेरक आदमीसँ ओकर बियाह? 

ओकर दमित-अदमित इच्छा के कोनो मोल नहि? 
बरद जकाँ बान्हि देल जायत खुट्टासँ?

रधिया के सांत्वना दी कि आशीर्वाद से नहि फुरायल......

-:समाप्त:-
अब आहे कहु हमरा त किछः ने फुरायल कोमेन्ट करु 
जदी आहा सब के हिद्रेऐ कु छु लेलक त लाईक ओर शेर करु

            ----- लेखीका आरती साहु
Editorial Team

We write Unique Content related to news, tips, facts, Reviews And Much More! Stay updated with us facebook

Post a Comment

Previous Post Next Post