भोलालाल दास मैथिलीक प्रचार-प्रसारमे ई अपन जीवन समपित कएने छलाह। Bholalal Das Maithili Mahaprush

भोला लाल मैथिली महापुरुष दास
Bholalal Das Maithili Mahaprush

भोला लाल मैथिली महापुरुष दास 1897-1977

हिनक जन्म दरभंगा जिलाक कसरौर मे भेलन्हि । साहित्य सर्जनाक अतिरिक्त अपन संगठन क्षमता तथा मैथिली साहित्यक सर्वतोमुखी विकासक हेतु सतत तत्पर रहबाक कारणेँ भोला बाबू मैथिली संसारक एक स्तम्भक रूपमे रहलाह हिनक निधन 1977 ई. मे भेल । मैथिलीक प्रचार-प्रसारमे ई अपन जीवन समपित कएने छलाह। पाठ्यक्रममे मैथिलीकेँ स्थान हो ताहि हेतु ई बीड़ा उठओलन्हि । विद्यालय स्तरक अनेक पोथीक निर्माण कएल । मैथिली साहित्य परिषदक ई संस्थापक मण्डलक सदस्य छलाह ।
$ads={1}
1931 सँ 1940 ई. पर्यन्त ओकर प्रधान मन्त्नी रहलाह । हिनक मन्त्नित्वकालमे ’भारती’ नामक मासिक पत्नक प्रकाशन भेल । एहिसँ पूर्व (१९२९-३१) कुशेश्वर कुमरजीक संग संयुक्त सम्पादनमे ’मिथिला’ नामक पत्न चलाओल। ई नवीन एवं प्रगतिशील विचारक लोक छलाह । 

मैथिली व्याकरण Maithili Grammar 

ननव लेखककेँ प्रोत्साहित करब, शैलीमे एकरूपता आनब, नव प्रकाशनसँ मैथिलीक साहित्य भंडारक पूर्त्ति करब हिनक कर्त्तव्य बनि गेल छल। हिनक लिखल ‘मैथिली व्याकरण’ तथा हिनकहि द्वारा सम्पादित ‘गद्यकुसुमांजलि बहुत दिन धरि विद्यालयमे पढ़ाओल जाइत रहल । हिनक लिखल अनेक निबन्ध समालोचना, कविता, संस्मरण, जीवनी-साहित्य मैथिलीक पत्र-पत्निकामे छिड़िआएल अछि ।


प्रय पाठकों ई लेख Bholalal Das Maithili Mahaprush मैथिली महापुरूश भोला दास आह सब के केहन लागल कॉमेंट करू कोनो गलती हाई त बताओ उपडेट कर देल जाइत 
Arjun kashyap

We love to write unique content related to News, Tips, Facts, Reviews and many more. When you guys share my article, I get inspired to write better. facebookJoin us on

Post a Comment

Previous Post Next Post